सब गोटे स हाथ जोड़ी क निवेदन कि घर पर रहु safe रहु... 

कोरोना घुईम रहल महामारी बनि क दुनियाँ में,
पसरल चैत महिना में ना....

थर-थर काँपै सगरो जहाँन, लागै आब बचत नाहीं प्राण,
यौ भाड़ी जुलुम केलक ई चाईना रोग करोनमा,
पसरल चैत महिना में ना...

एकर बाँचब एक उपाय, कियो नै घर सँ बाहर जाउ,
यौ राखु साफ़-सफ़ाई के अपने धियनमा,
पसरल चैत महिना में ना...

पड़लै बड़का विपैत कपार, कर जोड़ी कैह रहल सरकार,
यौ सबकियो मिली करियौ एकर निवारणमा,
पसरल चैत महिना में ना...

हुआ खाँसी-जुकाम -बुखार, कराबु डॉक़्टर सँ उपचार,
यौ ओहिना नै कियो बैसु घर-दुआरि-अंगनमा ,
पसरल चैत महिना में ना...

कोरोना घुईम रहल महामारी बनि क दुनियाँ में,
पसरल चैत महिना में ना....

अछि ई रोग बड़ी लसैरियाह,ई नै थिक कोनो अपवाह,
यौ देखियौ हाल अमेरिका, ईटली आरो चीनमा के,
पसरल चैत महिना में ना...

माण्डवी काश्यप करथि निवेदन, बाद में करै ने पड़ै रोदन,
यौ सब सँ दूर भगायेब चाईना रोग करोनमा ,
पसरल चैत महिना में ना....

देखु सुन पड़ल यै बाजार, काज पड़ै त निकलु सम्हारि,
यौ मुँह में मास्क लगा बहरैयौ अपना अंगना में ,
पसरल चैत महिना में ना...

करियौ हाय-हेलो क बहिष्कार, कर जोड़ी करियौ नमस्कार,
यौ इहै लिखल अपनॊ वेद-पुरणमा में,
पसरल चैत महिना में ना...

कोरोना घुईम रहल महामारी बनि क दुनियाँ में,
पसरल चैत महिना में ना.... 

Mandvi Kashyap

इस पोस्ट पर साझा करें

| Designed by Techie Desk